Sunday, October 09, 2011

उत्तरी सूडान सँ सशस्त्र संघर्ष नहि करत दक्षिणी सूडान


२२ आसिन एजेन्सी । दक्षिणी सूडानके राष्ट्रपति सल्वा कीर अपन पड़ोसी देश उत्तरी सूडानके सँग अनेक बिषय पर रहल मतभेदके कारण तनावके बावजूदो कोनो किसिमक सशस्त्र संघर्ष करय नहि चाहने बतौलनि अछि ।

दक्षिणी सूडान किछुए दिन पहिने उत्तरी सूडान सँ अलग भऽ कऽ नया देश बनल अछि । दुनु पक्षके बीच पेट्रोलियम पदाथके बाँटफाँटके लऽ  मतभेद रहल अछि जाहि कारण तनाव बढ़िते जा रहल अछि ।
राष्ट्रपतिके रुपमे खारतूम पहुंचल अपन भ्रमणमे कीर कहलनि जे  हमरा पुरा विश्वास अछि जे दुनु पक्षके बीच रहल मनमुटाबसब दुर भऽ जाएत आ असहमतीसबमे सहमती भऽ जाएत ।

दुनु देश एक दोसर पऽ अपन अपन इलाक़ामें विद्रोहीके समर्थन देबयके आरोप लगबैत आएल अछि । ओना तऽ दुनु देशके बीच सीमा पर सहमति भऽ चुकल अछि मुदा अखनो दुनु पक्ष अबयाईके विवादास्पद क्षेत्र पर अपन अपन दावी कऽ रहल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन