Sunday, October 09, 2011

राष्ट्रिय प्रशिक्षण वैद्य पक्षद्वारा बहिष्कार


काठमाडौ, आश्विन २२ । माओवादी उपाध्यक्ष मोहन वैद्य पक्षक विरोधबीच संस्थापन पक्ष आसिन २९ गते राष्ट्रिय प्रशिक्षण कार्यक्रम तय केने अछि । पार्टी निर्णयविपरीत कार्यक्रम तय केने कहैत वैद्य पक्ष सहभागी नहि होबयके घोषणा केने अछि ।

केन्द्रीय समितिक बैसार स्थगित कऽ एकतर्फी रूपमे केन्द्रीय प्रशिक्षण तय केने कहैत वैद्य पक्ष कडा आपत्ति जनौलक अछि । पार्टीभितर वैद्य पक्ष भ्रम सिर्जना केलासँ लडाकु समायोजन, मधेसी मोर्चासँगके ४ बुँदे सहमतिबारे स्पष्ट करय राष्ट्रिय प्रशिक्षण करय लागल संस्थापन पक्ष जनौलक अछि ।

प्रवक्ता दीनानाथ शर्मा पार्टीके स्थानीय तहधरि घोषित नीतिबारे भ्रम सिर्जना भेलासँ प्रशिक्षण कार्यक्रम रखने बतौलनि ।

वैद्य पक्षीय सचिव सीपी गजुरेल  प्रशिक्षण कार्यक्रम तय केनाइ आधिकारिक निर्णय नहि रहल बतौलनि । अहिसँ आगु वैद्य पक्ष आसिन ४ गते राजधानीमे राष्ट्रिय भेला केने छल ।

भेलामे जिल्ला सचिव, सभासद आ केन्द्रीय नेतासब कऽ करिब दु सय ५० गोटेके सहभागिता छल । भेलासँ संस्थापन पक्ष मधेसी मोर्चासँग ४ बुँदे 'राष्ट्रघाती' सहमति केने कहैत देशके 'सिक्किमीकरण'के रास्तामे लऽ गेल आरोप लगौने छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन