Monday, November 21, 2011

नक्कली सभासद् बनि कऽ ‘बलात्कारक प्रयास’


५ अगहन, काठमाण्डौ । अपनाके सभासद कहैत एक युवतीसँग अबैध सम्बन्ध कायम करय चाहने एक गोटेके गिरफ्तार कएल गेल अछि । किर्तिपुरके माओवादी कार्यकर्ता दिलिपके महानगरिय प्रहरी बृत्त कालिमाटी गिरफ्तार कएलक अछि ।

ओ अपने किर्तिपुरके माओवादी सभासद् दिलिप महर्जन कहि परिचय देने महानगरिय प्रहरी बृत्त कालिमाटीके डिएसपी टेकबहादुर तामाङ बतौलनि । महर्जन बितल कात्तिक २७ मे मोर्डन इन्डियन स्कुलमे नोकरी लगादेब कहैत चोभार गेटमे घर रहल दु युवतीके रिसोर्टमे लऽ जाऽ क बलात्कारक प्रयास केने छल ।

सुरुमे ओ नेवार परिवारके जेठ बेटीके चोभारके रेष्ट क्याम्प नामक रिसोर्टमे लऽ जाऽ क वलात्कारक प्रयास केने छल । युवती भगलाबाद फेउर ओकरे घरमे आबि कऽ ओकर बहिनके मोर्डन इण्डिन स्कुलमे नोकरीके बात करयके कहैत भ्याकेसन रिसोर्टमे लऽ गेल छल ।

खिडकी केबार बन्द कऽ क ओकरा बलात्कारक प्रयास केलाबाद युवती भागल छल । भागल दु युवतीमेसँ छोटकी पुलिसमे उजुरी केलाबाद बलात्कारक प्रयासबारे पोल खुजल अछि ।

किर्तिपुरके दिलिप महर्जन नामक सभासद अखन पर्यटन राज्यमन्त्री अछि । पुलिस असली दिलिप महर्जनके अहि बिषयमे जानकारी करा चुकल अछि । नाम मिललाबाद ओ बहुते ठाममे ठगि केने अछि । पहिने ओ माओवादीके स्थानीय कार्यकर्ता होइतो आर्थिक अनियमितताके आरोपमे कारवाहीमे परल बताओलगेल अछि । ओ पुलिसके समेत आर्कषक ठाममे बदली कऽ देब कहैत ठकने छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन