५ अगहन बर्मा । बर्मामें लोकतंत्र समर्थक नेता आंग सान सूची आगामी उपचुनावक उम्मीदवार बनयके घोषणा कएलनि अछि ।
मुदा हुनकर पार्टी नेशनल लीग फ़ॉर डेमोक्रेसी यानी N L D के प्रवक्ता कहलनि जे अखनधरि सूची कोन क्षेत्रसँ चुनाव लडताह से अखन फैसला नहि केने छथि ।
साल १९९० के बाद नोबेल शांति पुरस्कार विजेता आंग सान सूची पहिल बेर चुनावी मैदानमे ठार होबय जाऽ रहल छथि ।
N L D के साल १९९० में भेल आम चुनावमें भारी बहुमत भेटल छल मुदा सेना अहि जीतके ख़ारेज़ करैत शासन अपन हाथमें लेने छल ।
बितल सप्ताह N L D के दोबारा दर्ताके बादसँ आंग सान सूची आगामी उपचुनाव में भाग लेता से सँकेत भेटल छल ।
No comments:
Post a Comment