Monday, November 21, 2011

राज्य पुनःसंरचना आयोगमे शर्माके सम्भावना


५ अगहन, काठमाण्डौं । राज्य पुनः संरचना आयोग बनाबय सहमत भेल दलसब आयोग पदाधिकारीके निर्णय करयके तयारीमे अछि ।

माओवादी, कांग्रेस, एमाले आ संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेसी मोर्चाके आजुक वैसारसा सात सदस्यीय आयोग गठन करत बताओलगेल अछि । तीन दल आ मधेसी मोर्चासँ एक-एक गोटे आ तीन गोटे स्वतन्त्र विज्ञ राखयके दलसबहक तयारी अछि । अहिसँ आगु  काल्हि बैसल तीन दलक बैसारमे आजुक बैसारमे चारु दल ३-३ गोटेके नाम प्रस्ताव करयके सहमति भेल छल ।

स्रोतक अनुसार आयोगके अध्यक्षमे प्रधानमन्त्री भट्टराई राष्ट्रिय योजना आयोगक पूर्व उपाध्यक्ष एवं भूगोलबिद् पिताम्बर शर्माके नियुक्त करबाक तयारी कऽ रहल अछि । अहि बारेमे प्रधानमन्त्री अन्य दलसँग सेहो मोटामोटी बिमर्श केने बताओलगेल अछि । नयाँ बनाबय लागल प्रदेशके सीमा ब नक्सा समेत सिफारिस करयके आयोगमे बिषयगत दक्ष ब्यक्तिके लऽ जाए परत कहैत प्रधानमन्त्री शर्माके सिफारिस करय लागल बताओलगेल अछि ।

आयोग अध्यक्षमे दावी केने नेपाली कांग्रेस त्रिभूवन बिश्वबिद्यालयके पूर्व उपकुलपति एवं शिक्षाबिद् केदारभक्त माथेमाके अध्यक्ष बनाबयके दावी केने अछि । माथेमा संघीयताके नक्साङ्कन करय बिषयगत बिज्ञ नहि भेलासँ माओवादी नेतासब शर्माके बनाबयके लेल जोड देने अछि ।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन