Tuesday, November 08, 2011

मन्त्रीमण्डल विस्तारसँ शान्ति प्रकृया भँडाएतः कोइराला


तेह्रथुम, कार्तिक २२ । कांग्रेसक नेतृ सुजाता काइराला माओवादी नेतृत्वक सरकार मन्त्रीमण्डल विस्तार कऽ क शान्ति प्रकृया भाँडय खोज्ने आरोप लगौलिह अछि ।

अपनासब कांग्रेसक नेतृत्वमे राष्ट्रिय सहमतिके सरकारक बात उठा रहल  समय प्रधानमन्त्री बाबुराम भटराई एकलौटी रुपमे मन्त्री मण्डल विस्तार करयसँ शान्ति प्रकृयाके असर पहुँचौने ओ बतौलिह ।

नेपाल प्रेस युनीयन जिल्ला शाखा सदरमुकाम म्याङलुङमे आइ आयोजना केने पत्रकार सम्मेलनमे बजैत कोइराला नेतासब शान्ति प्रकृयाके लत्या कऽ विदेश भ्रमणमे  गेल प्रति आक्रोस ब्यक्त केलिह ।

अपने पार्टीक नेतासब रामशरण महत आ मिनेन्द्र रिजाल शान्ति प्रकृया पुरा करयके समयमे विदेश भ्रमणमे  गेल प्रति आक्रोस ब्यक्त करैत कोइराला अपने काठमाडौं घुरिते पार्टी नेतृत्वसंग बात उठाओल जाएत बतौलिह अछि ।

सारा काम छोडि कऽ शान्ति प्रकृया पुरा करयमे धमाधम नेतासब विदश भ्रमण केनाइसँ जनताके निरास बनौने कोइरालाक कहब छलनि ।

सरकारक नेतृत्व कऽ रहल  माओवादीक अध्यक्ष प्रचण्ड शान्ति प्रकृया पुरा करयके समयमे लुम्बीनीके विकास कहैत अमेरिका गेल प्रति ओ आक्रोस देखौलिह । शान्ति प्रकृया पुरा करयके पैघ बात कि ? लुम्वीनीके विकास पैघ बात ? हुनक प्रश्न छल ।

अहिसँ आगु बेर बेर केने सम्झौता माओवादी व्यवहारमे कार्यान्वयन नहि केने स्मरण करैत कोइराला माओवादी कव्जा केने व्यक्तिके घर जमिन फिर्ता करयके कहबी नाटक मात्रे रहल  बतौलिह ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन