Tuesday, November 08, 2011

हत्या अभियोग लागल सभासद ढुंगेलके मुद्दा फिर्ता कएल जाएत


काठमाडौ, कार्तिक २२ । हत्या अभियोग लागल माओवादी सभासद बालकृष्ण ढुंगेलके मुद्दा राष्ट्रिपतिके सिफारिमे फिर्ता करयके आइ बैसल मन्त्रीपरिषदक बैसारसँ निर्णय कएल गेल अछि ।

अहिना बैसारसँ भारतक लेल राजदुत  राम कार्की -सुरेन्द्र, चीनके लेल महेशकुमार मास्के आ युनाइटेड अरब इमरेटसके लेल धनन्जय झा के नियुक्त करयके निर्णय केलक अछि ।

अहिना मन्त्री परिषदक बैसारसँ  थाइल्याण्डमे भेल बाढि पीडितके लेल सेहो २५ हजार डलर सहयोग करयके निर्णय केलक अछि । बैसारसँ नेपाल-भारतक दोहोरा कर प्रणाली अन्त्य करयके सैद्धान्तिक सहमति सेहो केलक अछि ।

 भारतसँ आयात कएलगेल १ हजार रकम बराबरके सामानमे भन्सार नहि लागयके सेहो निर्णय केलक अछि । अहिस आगु १ सय रुपैयाँधरिके सामानमे भन्सार नहि लगैत छल ।

तहिना परिषद्क बैसारसँ राष्ट्रपतिके अवास गृह निर्माण करयके सेहो निर्णय केने माओवादी नेता तथा उपप्रधान नारयणकाजी श्रेष्ठ बतौलनि 

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन