Tuesday, November 08, 2011

लुम्बिनीमे भारतक चाँखि रहैत अछिः करण सिंह


२२ कात्तिक, काठमाडौँ । सत्तारुढ भारतीय कांग्रेस आईके विदेश विभाग प्रमुख डा. करण सिंह गौतम बुद्धके जन्मस्थल लुम्बिनीमे भारतक चाँखि रहैत आएल बतौलनि अछि ।

राजधानीमे आइ आयोजित एक कार्यक्रममे सिंह भारतीय सीमा क्षेत्रसँ  ८ किलोमिटरके दुरीमे रहल लुम्बिनीमे अन्य देश लगानी करैत काल भारतके सेहो ओइमे उत्सुकता रहैत आएल बतौलनि अछि । ओ गौतम बुद्ध नेपालमे जन्मितो भारतेमे ज्ञान आर्जन केने आ भारतमे देह त्याग केलासँ लुम्बिनीमे भारतक उत्सुकता रहनाइ स्वभाविक रहल तर्क कएलनि । लुम्बिनीके विकासमे भारतके सेहो लगानी करय परत कहैत सिंह ओइके लेल पने प्रधानमन्त्री मनमोहन सिंहसँग बात करब बतौलनि ।

लुम्बिनीके बृहत्तर विकासक लेल अन्तर्राष्ट्रिय सहयोग जुटाबयके सिलसिलामे माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड अमेरिकामे रहल समय सिंह लुम्बिनीमे होबयबला विदेशी लगानी प्रति अपनासबहक चाँखि रहल बतौलनि अछि । शान्ति प्रक्रिया आगु बढाबय दलसबवीच भेल सातबुँदे सहमति प्रति भारत सकारात्मक रहल कहैत ओ भारतक नेपाल नीति सबदिन सकारात्मक आ सहयोगी रहत दाबी कएलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन