Wednesday, December 14, 2011

राजश्व असुलीके लक्ष्य पुरा करय दिस ध्यान देवय अर्थमन्त्रीक निर्देशन


२८ अगहन, काठमाण्डौ । अर्थमन्त्री वर्षमान पुन चालु वर्षक राजश्व असुलीके लक्ष्य पुरा करय लेल गम्भीर भऽ काज करय राजश्व अनुसन्धान विभाग अन्तर्गतके उच्च अधिकारीसबके निर्देशन देलनि अछि ।

आइ अर्थमन्त्रालयमे आयोजित राजश्व प्रगति समीक्षा बैसारमे  अर्थमन्त्री पुस महिनाभितर राजश्व वृद्धि २२ प्रतिशतसँ उपर रहयके बाध्यता रहल बतौलनि । ओ अर्थतन्त्रके सब सुचकांकसब निक भऽ रहल समय राजश्व संकलन क्षेत्रमे कमी भेल पाओलगेल बतबैत तत्काल सुधारक आवश्यकता रहल बतौलनि । ओ मन्त्रालय मातहतके उच्चअधिकारीसबहक स्थानान्तरण भेलाबाद किछ नहि किछ परिवर्तन आवयमे आरो ओहन नहि पाओलगेल बतबैत तत्काल नयाँ नयाँ कार्यक्रम लावय सेहो  निर्देशन देलनि ।

समीक्षा बैसारमे सहभागी विभिन्न विभागक प्रमुखसब राजश्वके लक्ष्य पुरा हाएत बतौने छलथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन