Wednesday, December 14, 2011

मौलिक अधिकारमे दोहराएल विषयके निर्णय करयके जिम्मा उपसमितिके


२८ अगहन, काठमाण्डौ । संवैधानिक समितिक वैसारसँ मौलिक अधिकार तथा निर्देशक सिद्धान्तमे दोहराओलगेल विषयके निर्णयक करयके जिम्मा  उपसमितिके देवाक निर्णय केलक अछि ।

समितिक कार्यालय सिंहदरवारमे आइ भिन्सर बैसल बैसारसँ मौलिक अधिकार तथा राज्यके निर्देशक समिति समेत दोहोराओलगेल कहैत उपसमितिमे बिमर्श कऽ निर्णय करयके  जिम्मा उपसमितिके देलगेल समितिक सभापति निलाम्बर आचार्य जानकारी देलनि । वैसारमे उपसमितिक संयोजक एवम् माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड काल्हि उपसमिति जुटौने सहमतिके वारेमे वैसारके जानकारी करौने छलथि ।

वैसारसँ अहिसँ आगु काल्हि उपसमिति जुटौने मिश्रीत निर्वाचन प्रणाली आ मत अधिकारक विषयमे केने सहमतिके समेत संवैधानिक समितिक वैसार अनुमोदन केलक अछि । वैसारसँ आगामी पुस १ गतेसँ निरन्तर उपसमिति जुटौने सहमति उपर बिमर्श करैत जाएके समेत निर्णय केलक अछि । अहिना वैसारमे विवाद समाधान उपसमिति नयाँ संविधानमे रहल विवादमे जुटौने सहमतिके प्रगति आ मिलय नहि सकल विवादके विषयमे बिमर्श भेल छल । उपसमितिक काल्हि बैसल बैसारसँ निर्वाचन प्रणालीके विषयमे सहमति कायम कएलाबाद संवैधानिक समिति पछिला बेर म्याद बढौलाबाद बिमर्श करय पौअने  पहिल कार्यसुचि अछि ।

नयाँ संविधान निर्माणक लेल वनाओलगेल नया कार्यतालिका अनुसार समिति पुष १५ भितरमे दलसबवीच रहल विवाद समाधान कऽ लेवयके अछि । संविधानमे दलसबवीच आव जम्मा २० बुँदामे सहमति जुटावय वाँकी रहल अछि । संवैधानिक समितिक वैसार पुस १ गते फेउर बैसत ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन