Wednesday, December 14, 2011

पूर्वाञ्चल बन्द फिर्ता भऽ रहल, वार्ता दु दिन बाद


२८ अगहन काठमाण्डौ । राज्य पुनर्संरचना आयोगमे प्रतिनिधित्वके  माँग करैत सङ्घीय लिम्बुवान राज्य परिषद् सञ्जुहाङ पालुङ्वा समूहक आहृवान केने पूर्वाञ्चल बन्द आइ फिर्ता भऽ रहल अछि ।

शान्ति मन्त्री सत्या पहाडी आन्दोलन स्थगित कऽ वार्तामे आवय औपचारिक पत्र लिखलाबाद परिषद आन्दोलन स्थगन करयके तयारी केने अछि । परिषदक अध्यक्ष पालुङ्वा सरकार वार्तासँ माँग पूरा करयके आश्वासन देलाबाद जारी बन्द फिर्ता लऽ आन्दोलन स्थगन करयके जानकारी देलनि ।

 'जनताके दैनिक जीवन कष्टकर होवय लगलासँ आन्दोलन स्थगित करय लागल छी,' ओ कहलिह जे, 'वार्ताक समयके बिषयमे निर्णय होवय नहि सकल अछि ।' शान्ति मन्त्री पहाडीके समय अभावक कारण सरकार-लिम्बूवानक वार्ता शुक्रदिन परसु हाएत शान्ति मन्त्रालय जनौलक अछि ।

४ दिनसँ बन्दक कारण अरुण पूर्वके ९ जिल्लाक जनजीवन प्रभावित छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन