Wednesday, December 14, 2011

एमालेक शीर्ष नेतासबद्वारा गुटबन्दी त्याग केने घोषणा


काठमाडौं, अगहन २८ । संविधानसभा निर्वाचनबाद पहिल बेर विपक्षमे बैसल एमाले आइ पार्टीके तीन महिने पार्टी सुदृढीकरण तथा जनपरिचालन अभियानक घोषणा केलक अछि ।

आइ भिन्सर पार्टी मुख्यालय बल्खुमे अध्यक्ष झलनाथ खनाल, बष्ठि नेता माधवकुमार नेपाल आ केपी शर्मा ओलीके उपस्थितिमे अभियान घोषणा कएलगेल अछि । फागुनमे राजधानीमे हववयबला राष्ट्रिय परिषद् बैसार आगु एमाले पुस, माघ आ फागुन महिनाके लेल अभियान घोषणा केलक अछि ।

एमालेके पार्टी सुदृढीकरण तथा जनपरिचालन अभियानमे पार्टीके संगठन निर्माण, जनसम्बन्ध विस्तार, जनसभा, असन्तुष्ट तथा पार्टी छोडने कार्यकर्ताके 'घर घुरय' कार्यक्रम सहितक अछि ।

कार्यक्रममे शीर्ष नेतासब नेतृत्व गुट त्याग केने घोषणा करैत कार्यकर्ताके सेहो व्यक्तिके पाछु नहि जाए आग्रह कएलनि ।

विगतमे भेल गल्ति कमजोरीके सच्यबैत एमालेके पहिल स्थानमे लावय सव शक्ति केन्द्रित करय नेतासब कार्यकर्ताके निर्देशन देलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन