Thursday, December 15, 2011

सम्पत्तिमे हदबन्दी नहि लागत


काठमाडौ, अगहन २९ । व्यक्तिगत सम्पत्तिके सिमा नहि तोकयके विद्यमान व्यवस्थाके नयाँ संविधानमे निरन्तरता देवयकमे दलसब सहमत भेल अछि ।

आइ सिंहदरवारमे बैसल विवाद समाधान उपसमितिक बैसारसँ व्यक्तिगत सम्पत्तिमे हदबन्दी नहि लागयके सहमति केलक अछि ।

सरकार जमिनमे हदबन्दी लगावय सकयके मुदा ओइके लेल मुआब्जा देवयके दलसबबीच सहमति भेल समिति सदस्य जनशक्ति पार्टीक नेता प्रकाशचन्द्र लोहनी बतौलनि । माओवादी व्यक्तिके सम्पत्ति आ भूमि उपर हदबन्दीके माँग करैत आएल छल ।

युद्ध अपराध, मानवता विरोधी आमनरसंहार जेहन घट्नाके सम्बोधन करय अलगे कानुन बनावयमे सहमति जुटल अछि । आब विवादित बुँदा १६ टा मात्रे अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन