Thursday, December 15, 2011

सूचना प्रविधि आयोग खारेजी फिर्ता नहि हाएत विज्ञान मन्त्री धमला


प्रकाश सुन्दास

२९ अगहन काभ्रे । विज्ञान मन्त्री कल्पना धमला सरकार केने सूचना प्रविधि उच्चस्तरिय आयोग खारेजी फिर्ता नहि हाएत बतौलिह अछि ।

आइसँ काभ्रेके बनेपामे शुरु भेल मिदास क्यान इन्फोटेक २०६८ के उद्घाटन करैत ओ इ बतौलिह अछि । बिसौ वर्ष आगु गठन भेल आयोग सोचल जेहन उपलब्धि हासिल करय नहि सकलाबाद बाध्य भऽ क खारेजी करय परल मन्त्री धमलाक कहब छलनि । सूचना प्रविधि उच्चस्तरिय आयोग खारेज होइतो मन्त्रालय जीविते रहल बतबैत ओ सूचना प्रविधिके क्षेत्रमे मन्त्रालय ठोस नीति लावयके  तयारी कऽ रहल बतौलनि ।

सूचना प्रविधि उच्चस्तरिय आयोग खारेजीके विषयके लऽ काल्हि बैसल व्यवस्थापिका संसदके विकास समिति प्रधानमन्त्री वाबुराम भट्टराइके समितिमे बजौने अछि । संसदीय समितिक निर्देशन उल्लङ्घन केनाइ गम्भीर विषय रहल कहैत समिति पुस ४ गते भिन्सर प्रधानमन्त्रीके बजावयके निर्णय केने छल । मन्त्री धमलाके सिफारिसमे सरकार बितल २६ गते आयोग विघठनके निर्णय केने छल ।

अहिबीच काभ्रेके बनेपामे रहल आइटी पार्कके पूर्ण रुपमे सञ्चालन करय मन्त्रालय गृहकार्य कऽ रहल समेत मन्त्री धमला जानकारी करौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन