Thursday, December 15, 2011

फेसबुक आत्महत्यासँ बचाओत - बिज्ञान


फेसबुक आब आदमीसबके आत्महत्या करयसँ बचावय नयाँ व्यवस्था सुरु केलक अछि, जाहिके माध्यमसँ काउन्सलरसँग अनलाइनमे च्याट कएल जाऽ सकैय । फेसबुकके प्रवक्ता फ्रेडरिक वोलन्स कहलनि जे-हरेक रिपोर्टके साथ एक विकल्प देल जाएत, जाहिमे क्लिक करिते कम्पनीके सामाग्री लिखयबला व्यक्ति आत्महत्या करयके सोचमे अछि से जानकारी भऽ जाएत ।

फेसबुकके अनुसार एहन जानकारी पबिते ओ व्यक्तिके एक लिङ्क पठाओल जाएत, जाहिमे ओ काउन्सलरसँग बातचित करय सकत । एहन नयाँ व्यवस्थासँ समस्यामे परल तथा काउन्सलरधरि जाए नहि सकयबलासबके सहयोग पहुँचत कम्पनीक विश्वास अछि । प्रवक्ता कहलनि जे-हमसब इ मुद्धामे लम्बा समयसँ काज कऽ रहल छलौ आ एहन व्यवस्थाके विकासमे जुटल छलौ ।

हुनक अनुसार किछ व्यक्ति अपन साथीके व्यवहारके बारेमे जानकारी देत तऽ ओ व्यक्तिके सेहो सन्देश देल जाएत, जाहिसँ समस्या सोझराबय दिस आवश्यक कदम उठाओल जाऽ सकैय ।फेसबुकके लाखौं प्रयोगकर्ता अछि आ कतेकौ बेर आदमीसब फेसबुकमे आत्माहत्या करय आगु टिप्पणी लिखैत आएल अछि । तत्कालके लेल इ सुविधा अमेरिका आ क्यानडामे मात्रे अछि ।

अमेरिकामे हरेक दिन औसतमे सय गोटे आत्महत्या करैत अछि । बितल वर्षमात्रे १८ वर्ष सँ उपरके करिव ८० लाख आत्महत्याके बारेमे सोच्ने विभिन्न अध्ययन देखौलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन