Thursday, December 22, 2011

पृथ्वी जेहन जौवाँ ग्रह भेटल


पुष ७, जनकपुरधाम । खगोलविद्सब पहिलो बेर पृथ्वी  आकारके २ टा ग्रह पत्ता लगौलक अछि । सौर्यमण्डलसँ बुहत दुर रहलासँ ओ ग्रहसब सूर्य जेहन एक ताराके परिक्रमा कऽ रहल खगोलविदसबहक कहब अछि । पृथ्वीके जौवाँ ग्रह जेहन रहल ओ ग्रहमे इतिहासमे कोनो समय जिवके अस्तित्व रहल भऽ सकवाक बताओलगेल अछि ।

खगोलविदसब पछिला खोज सौर्यमण्डल बाहरके ग्रहसबमे कएलगेल खोजमे सँ अखनधरिके बहुत महत्वपूर्ण खोज रहल दाबी केलक अछि । अध्ययन टोलीके प्रमुख तथा क्याम्ब्रिज विश्वविद्यालयके खगोलिय भौतिक विज्ञान केन्द्रक वैज्ञानिक डाक्टर फान्कोइस फेसिन पृथ्वी जेहन ग्रहसब पत्ता लगावयके विषयमे इ नयाँ अध्याय सुरु केने बतौलनि ।

नयाँ पत्ता लागल ग्रहसबमे तापक्रम बहुत उच्च रहलासँ तत्काल जिवनके सम्भावना नहि रहल हुनक कहब अछि । मुदा कोनो समय ओ ग्रह अपन सूर्यसँ बहुत दुर रहलासँ ओ समय ओ ग्रहमे तरल पानि रहल  ओ बतौलनि । अखन पृथ्वीके आकारके ओ ग्रहमे विगतमे पृथ्वीके जेहन तापक्रम आ जिवके अस्तित्व रहल होवय सकवाक हुनक दाबी छन्हि । इ दु ग्रहके नाम केप्लर २० एफ आ केप्लर २० इ राखल गेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन