Thursday, December 22, 2011

शान्ति आ संविधानसँगै जनपरिचालन करयके प्रचण्डक प्रस्ताव


७ पुस, काठमाडौँ । माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड शान्ति आ संविधानके पार्टीके आधिकारिक लाइन प्रस्ताव करैत ओइके सफल करय जनपरिचालन करयके प्रस्ताव तयार कएलनि अछि ।

बेर बेर स्थगित होइत शनिदिनके लेल तय कएलगेल माओवादी केन्द्रीय समितिक बैसारमे पेश करय अध्यक्ष प्रचण्ड प्रतिवेदनके खाका तयार कएलनि अछि । शान्तिप्रक्रियाके निष्र्कर्षमे पहुँचबैत प्रगतिशिल संविधान लिखयके आ ओइके लेल तत्काले जनपरिचालन करयके प्रस्तावमे उल्लेख कएलगेल प्रचण्डनिकट पोलिट्ब्युरो सदस्य अग्निप्रसाद सापकोटा जानकारी देलनि ।

हुनक अनुसार प्रस्तावमे अहिसँ आगु १० साउनमे सम्पन्न भेल केन्द्रीय समितिक बैसारसँ एकमतसँ गुटगत भेला बन्द कऽ सहमतिके विषयमे आन्तरिक फोरमसबके बिमर्श चलबैत जाएके आ नहि मिलल विषयके महाधिवेशनसँ निर्णय करयके बिषयमे बात होइतो  ओइ विपरीत गुटगत भेला करयके क्रम नहि रुकलासँ विषय उठाओलगेल अछि । अहिके बादो गुटगत भेला जारी रहत तऽ सांगठनिक कारबाहीके प्रक्रिया आगु बढावयके  प्रचण्डक प्रस्तावमे अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन