Thursday, December 22, 2011

चारिम चरणक आन्दोलनक घोषणा


७ पुष जनकपुरधाम । अहिसँ आगु ३ चरणक आन्दोलन कऽ चुकल जनकपुर नगर पालिकाक राजनितिक सँयन्‍त्रसब आब चारिम चरणक आन्दोलनक घोषणा कएलक अछि ।

सँयन्त्रद्धारा राखलगेल बिभिन्न १० सुत्रिय माँगप्रति सम्बन्धित निकाय बेवास्ता केलासँ चारिम चरणक आन्दोलनके कार्यक्रमसब घोषणा कएलगेल सँयन्त्रद्धारा जारी बिज्ञप्तिमे उल्लेख अछि ।

नगरपालिकाक बारुण यन्त्र सरसफाइ आ एम्बुलेन्स बाहेकके सम्पुर्ण शाखामे अनिश्चितकालिन तालाबन्दी कएलगेल बिज्ञप्तिमे जनाओलगेल अछि ।

अनिश्चितकालिन तालबन्दीसँ नगरपालिकाक सम्पुर्ण काम काजसब प्रभावित भेल अछि तऽ कार्यालयमे आवयबला सेवाग्राहिसबके समस्या सेहो भऽ रहल अछि ।

सँयन्त्रक निर्णय अनुसार आइ बेरियामे शिव चौकपर स्थानिय बिकास मन्त्रीक पुत्ला जराओलगेल अछि तऽ प्रमुख जिल्ला अधिकारीक राजिनामाक माँग कएलगेल अछि ।

अहिसँ आगु तेसर चरणक आन्दोलनके कार्यक्रम अनुसार रिले अनशन पर बैसल सदाशिव मिश्र आ शैलेन्द्र झाक अवस्था गम्भिर भेलासँ जनकपुर अँचल अस्पतालमे इलाज भऽ रहल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन