Thursday, December 22, 2011

सेनामे मधेसीके समुहगत प्रवेशके सशक्त बिरोध करब: आचार्य


इनरुवा, पुस ७ । एमालेक मुख्य सचेतक भिम आचार्य सरकार नेपाली सेनामे मधेशी समुदायके समुहगत प्रबेश करावयके नीतिपत्र तत्काल फिर्ता नहि लेत तऽ सदन आ सडकसँ सशक्त बिरोध करब बतौलनि अछि ।

सेनाके विवादके केन्द्र वनावयके मनसायके साथ सरकार जातीय आधारमे सेनामे मधेशीके समुहगत प्रबेश करावय चाहने कहैत ओ सदन आ सडकसँ सरकारी कदमके बिरोध करब बतौलनि ।

सुनसरी सदरमुकाम इनरुवामे आइ  बातचित करैत आचार्य सेनाके समाबेशी संरचना होवयके पक्षमे अपनेसब रहितो कोनो जाति बिशेषके आधारमे समुहगत प्रबेशके प्रस्ताव कोनो हालतमे मान्य नहि हाएत बतौलनि ।

ओ नेपाली सेनामे ५५ प्रतिशत खुल्ला आ ४५ प्रतिसत आरक्षणके ब्यबस्था बर्तमान अबस्थामे रहल आ सेनामे मात्रे नहि भऽ अन्य निकायमे सेहो समाबेशीके लेल सरकार समाबेशी बिधयेक आनि कऽ ओइके आधारमे सब निकायमे सबके समाबेशी प्रतिनिधित्व करावय सकत टिप्पणी कएलनि । सत्ता टिका कऽ राखय प्रधानमन्त्री डा. वावुराम भटराइ मनोमानी काज करय लागल आरोप लगबैत मुख्य सचेतक आचार्य सरकारके क्रियाकलापके कारण शान्ति आ संबिधान निर्माणके कार्य अबरुद्ध होवय सकत चिन्ता ब्यक्त कएलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन