Thursday, December 22, 2011

बाबुरामके एको दिन सरकारमे बैसयके हैसियत नहि अछिः महत


७ पुस, काठमाडौं । नेपाली कांग्रेसक केन्द्रीय सदस्य डा. रामशरण महत प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराईके एको दिन  सरकारमे बैसयके नैतिक हैसियत नहि रहल  दावी कएलनि अछि ।

शान्ति प्रक्रिया आगु बढावयके सर्तमे कांग्रेस तत्काल सरकार परिवर्तनके बात नहि केने कहैत ओ शान्ति प्रक्रिया आगु बढय नहि सकल अवस्थामे भट्टराई नेतृत्वक सरकारके औचित्य समाप्त भेल बतौलनि । आइ राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे महत कहलनि जे आब कांग्रेस इ सरकारके लऽ क चलय नहि सकत । शान्ति प्रक्रियामे धोका भेल । वितल तीन सप्ताहसँ शान्ति प्रक्रियाके कोनो काम नहि भेल अछि ।

ओ सहमति अनुसार शान्ति प्रक्रिया आगु बढ नहि सकनाइ, सम्पत्ति फिर्ताके काम सुरु करय नहि सकनाइसँ माओवादी शान्ति प्रक्रियासँ खेलय चाहने आशंका बढल बतौलनि । दर्जा मिलान, तालिम जेहन सहमति भऽ चुकल विषय उठा कऽ माओवादी शिविर खाली करय  नहि मानने हुनक कहब छलनि । स्वेच्छिक अवकासमे जाएबलाके रकम जुटावय सरकार पुरक बजेट आनत तऽ अपनेसब सहयोग करय तयार रहल कहैत कांग्रेस नेता महत माओवादी अनेक बहाना बना कऽ शान्ति प्रक्रियाके रोकयके रणनीतिमे रहल दावी कएलनि ।

एमाले नेता भीम रावल प्रधानमन्त्री सत्तामे टिकय लेल राष्ट्रियता आ देशके सुरक्षाके ध्वस्त करय जका सेनामे मधेसीके समूहगत प्रवेशके निर्णय केने आरोप लगौलनि । प्रधानमन्त्री सहमति अनुसार चलय नहि सकल आरोप लगबैत ओ सहमति तोडि कऽ देशके गृहयूद्ध दिस धकलयके योजना रहल दावी कएलनि ।

कार्यक्रममे तमलोपा नेपालक अध्यक्ष एवं सिचाई मन्त्री महेन्द्र यादव नेपाली सेना तयार केने नीति पत्रके मन्त्री परिषद पारित केने दावी करैत तीन हजारमे मधेसी मात्रे नहि भऽ पहाडी आदीवासी, जनजाती, दलित सेहो सहभागी होवय पाओत स्पष्ट कएलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन