Thursday, December 22, 2011

मधेसी भर्ती करयके तयारीप्रति सेनापतिके आपत्ति


७ पुस, काठमाडौँ । नेपाली सेनामा रिक्त रहल ३ हजार ४० दरबन्दीमे अलगे बटालियन खडा कऽ क मधेसी युवाके भर्ती करयके सरकारी निर्णयप्रति प्रधान सेनापति छत्रमानसिंह गुरुङ राष्ट्रपति डा. रामवरण यादवसँ भेट कऽ असन्तुष्टि जनौलनि अछि ।

राष्ट्रपतिसँ भेटय प्रधान सेनापति गुरुङ आइ भिन्सर राष्ट्रपति भवन शीतल निवास पहुँचल छलथि । भेटमे सेनापति गुरुङ राष्ट्रपति रामवरण यादवसँग कोनो एकटा जाति आ क्षेत्र विशेषके अलगे इकाई खडा केलासँ सेनाके व्यवसायिकता आ पेशागत मर्यादामे ठेस पहुँचत कहैत परमाधिपतिके हैसियतसँ ओइके रोकय हस्तक्षेपकारी भूमिका निभावय आग्रह कएने स्रोत जनौलक अछि ।

गुरुङ ओना कऽ अलगे इकाई खडा हाएत तऽ पहिने कानुन बना कऽ आगु बढयके सेनाके संस्थागत धारणाबारे राष्ट्रपतिके अवगत करौने छलथि । जवाफमे राष्ट्रपति यादव राष्ट्रिय सेनाके गरिमामे  ठेस पहुँचय नहि देवय अपने सचेत रहल बतौने छलथि ।

मन्त्रिपरिषद्क मंगलदिनक बैसारसँ सत्ता गठबन्धन निर्माणक समय भेल ४ बुँदे सहमितके आधारमे नेपाली सेनामे मधेसीसबहक अलगे बटालियन खडा करयके निर्णय केने छल । सेनापति गुरुङ अहिसँ आगु बुधदिन प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराईसँग भेट कऽ सरकारक निर्णयमे असन्तुष्टि रहल बतौने छलथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन