Friday, December 16, 2011

उपसमिति सहमति जुटौने विषयमे अनुमोदन सुरु


१ पुस, काठमाडौँ । विवाद समाधान उपसमिति सहमति जुटा कऽ पठौने विषयके अनुमोदन करयके प्रक्रिया शुरु भेल अछि ।

सिंहदरबारस्थित समितिक कार्यालयमे आइ बैसल बैसारसँ व्यवस्थापिका संसद् दु सदनात्मक होवयके व्यवस्था अनुमोदन केने माओवादी नेता देव गुरुङ सञ्चारकर्मीके जानकारी देलनि । गुरुङके अनुसार समितिक आगामी बैसारमे सहमति जुटल अन्य विषयके सेहो अनुमोदन करैत लऽ जाएके आ बाँकी विषयमे निर्णय करय संविधानसभामे मतदान हाएत सेहो जानकारी देलनि ।

माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड नेतृत्वक उपसमिति संविधान लेखनके क्रममे देखलगेल कूल २ सय १० मे सँ १ सय ९४ विवादित विषयमे सहमति जुटा चुकल अछि । पछिला समय काल्हि मात्रे उपसमिति व्यक्तिगत सम्पत्तिमे हदबन्दी नहि लागय सहितक ४ टा विषयमे सहमति जुटौने छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन