Friday, December 16, 2011

'शान्ति प्रक्रिया पुरा नहि होवयमे माओवादी जिम्मेवारः कोइराला


काठमाडौ, पुस १ । कांग्रेसक सभापति सुशील कोइराला माओवादीक कारण सात बुँदे सहमति अनुसार शान्ति प्रक्रिया पुरा नहि भेल आरोप लगौलनि अछि। ओ शान्ति प्रक्रिया आगु बढावय प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई फुर्ति नहि देखौने आरोप सेहो लगौलनि ।

महाराजगंजस्थित अपने निवासमे आइ संचारकर्मीसबसंग बातचित करैत कोइराला लडाकुके वर्गीकरण बाहेकके काम नहि भेलमे चिन्ता व्यक्त कएलनि ।  प्रधानमन्त्री विशेष समेतके बैसार नहि बजौलासँ शान्ति प्रक्रिया गति नहि लेने हुनक कहब छलनि । दलसबबीच अगहन मसान्त धरि शान्ति प्रक्रिया पुरा करय जका सात बुँदे सहमति भेल छल ।

अहिबिच कोइराला माओवादी महासचिव रामबहादुर थापाके राष्ट्रिय सरकारक प्रधानमन्त्रीमे स्वीकारल नहि जाऽ सकैय स्पष्ट कएलनि अछि । माओवादी उपाध्यक्ष मोहन वैद्य पक्ष बाबुराम भट्टराईके विकल्पमे महासचिव थापाके नाम राखिरहल समय सभापति कोइरालाक एहन कहबी बहराएल अछि । कोइराला आवके सरकारके नेतृत्व कांग्रेस करत ताहिलेल थापाके प्रधानमन्त्री होवयके सम्भावना नहि रहल बतौलनि अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन