Friday, December 16, 2011

सुशील कोइराला पार्टी एकता नहि चाहि रहल नेपाली कांग्रेसक वरिष्ठ नेता देउवा


काठमाडौ, पुस १ । नेपाली कांग्रेसक वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवा पार्टी सभापति सुशील कोइराला पार्टीक सुदृढ एकता नहि चाहने आरोप लगौलनि अछि नुवाकोटक रानीपौवाम कार्यकर्तासँग बात करैत नेता देउवा अपने पार्टी एकता कायम करय देश भ्रमणमे निकलल दाबी कएलनि

अपना उपर पार्टी विभाजन करावयके खेलम लाग आरोप झुठ रहल जिकिर करैत देउवा गिरिजाप्रसाद कोइरालासँग पार्टी एकताक निर्णय करयके व्यक्ति पार्टी फोरत कहि हल्ला चलावयके कोनो तुक नहि रहल बतौलनि अपने पार्टी फोरय लागल हल्ला फैलबैत नहि चलय संस्थापन पक्षके चेतावनी देलनि

सभापति कोइराला पार्टीम तानाशाही शैलीक अभ्यास कऽ रहल कहैत देउवा विवाद समाधानक लेल अपने गठन केने समितिक सिफारिस नहि मानि कऽ नैतिकता गुमौने आरोप लगौलनि

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन