Tuesday, December 20, 2011

वर्तमान सरकार इतिहासेके भ्रष्टः यादव


वीरगन्ज, पुस ५ । मधेसी जनअधिकार फोरम नेपालक अध्यक्ष उपेन्द्र यादव वर्तमान सरकार इतिहासेमे सबसँ बेसी भ्रष्ट भेल आरोप लगौलनि अछि ।

रिपोर्टर्स क्लब पर्साद्वारा आइ आयोजित कार्यक्रममे ओ लडाकुके पैसा खेनाइ, रकम निकासा करयके समयमे मन्त्रीके पैसा मँगनाइ, भ्रष्टसब मन्त्रिमण्डलमे हावी होनाइ आ पैघ मन्त्रिमण्डल बनौनाइ जेहन कारणसँ डा. बाबुराम भट्टराई नेतृत्वक वर्तमान सरकार राष्ट्रिय तथा अन्तर्राष्ट्रिय क्षेत्रमे बदनाम भऽ चुकल दाबी कएलनि ।

अध्यक्ष यादव शान्ति प्रक्रियाके पुरा करयके, सङ्घीय लोकतान्त्रिक संविधान निर्माण करयके तथा आदिवासी, मधेसी जनजाति सहितक विभेदमे परल समुदायके राज्यके मूलधारमे आनि कऽ ओकरासबके समानता प्रदान करय जेहन चुनौतीसब अपनासब लग रहल उल्लेख करैत इ चुनौतीसब पूरा करय वर्तमान सरकारसँ सम्भव नहि भेलासँ राष्ट्रिय सरकार गठन करय परत बतौलनि ।

वर्तमान सरकार शान्ति प्रक्रियाके नाममे माओवादी छापामारके सेनामे नोकरी लगावयसँ बेसी  आरो काज केने नहि देखयमे आएल कहैत ओ राष्ट्रिय सुरक्षा नीति निर्माण कऽ क नेपाली सेनाके समावेशी राष्ट्रिय सेनाके स्वरुप प्रदान करय परत बतौलनि ।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन