Monday, January 02, 2012

विश्वके सबसँ रोमाञ्चक सडक


विश्वके सबसँ बेसी रोमाञ्चक तथा खतरनाक १० टा सडककके नामः

१. बोलिभियाके नर्थ युंगास रोड : एकरा मृत्युके सडक सेहो कहल जाइत अछि । राजधानी लापाज आ कोरिओके क्षेत्र जोडयबला इ सडक ४३ माइल लम्बा अछि ।


२. अटलान्टा रोड, नर्वे : नर्वेके मोल्डे आ क्रिस्टियानसन्ड जोडयबला इ सडक ५ माइल लम्बा अछि ।

३.ब्लू रिज, अमेरिका : उत्तरी क्यारोलिनामे रहल इ सडकके लम्बाइ ४ सय ९६ माइल अछि ।


४. कोलम्बिया जर्ज हाइवे, अमेरिका : इ उत्तरी अमेरिकामे अछि ।

५. गुओलियांग टनेल, चीन : इ सडक चिनके ताइहांग पर्वतके काटि कऽ बनाओलगेल अछि ।


६. अमाल्फी कोस्ट रोड, इटाली : इ विश्वके सबसँ रोमाञ्चक सडक ।

७. थ्री केप्स रुट, अमेरिका : इ सडक अमेरिकाके ओरेगनमे अछि ।



८. ट्रान्सफगारसन रोड, रोमानिया : इ सडकसँ देशके दु उच्च पहाडके जोडने अछि ।


९. रेड रक सिनिक रोड, अमेरिका : इ अमेरिकाके अरिजोनामे अवस्थित अछि ।


१०. सेबर्ड हाइवे, अलास्का : १ सय २७ माइल लम्बा इ सडकसँ अलास्काके सेबर्ड आ एंकोरेजके जोडने अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन