Monday, January 02, 2012

दुनु पक्ष अपने अपने अडानमे


काठमाडौं, पुस १८ । माओवादीके जारी केन्द्रीय समितिक बैसारमे अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल आ बरिष्ठ उपाध्यक्ष मोहन वैद्य समूह अपन अपन जिद पर अडल अछि ।

 संस्थापन पक्ष वैद्यके राजनीतिक दस्तावेजसँ शान्ति आ संविधान प्रक्रिया अबरुद्ध हाएत आरोप लगौलक अछि । वैद्य पक्षधर  दाहालके प्रतिवेदनसँ पार्टी कार्यदिशा आ क्रान्तिके बाट छोडने आरोप दोहोरौलक अछि ।

बेसी केन्द्रीय सदस्यसब दुनु प्रस्तावके मिला कऽ पार्टी एकताबद्ध बनावयमे जोड देने पोलिट्ब्युरो सदस्य हरिबोल गजुरेल जानकारी देलनि । हुनका अनुसार केन्द्रीय सदस्यसबके बाजयके क्रम जारी रहलासँ बैसार आरो दु दिन हाएत ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन