Monday, January 02, 2012

ठण्डासँ कठुवा कऽ महोत्तरीमे आओर एक गोटेके मृत्यु


१८ पुष महोतरी । महोत्तरीके पशुपतिनगरमे बितलराति ठण्डासँ कठुवा क एक बृद्धाके मृत्यु भेल अछि ।

मृत्यु होवयबलामे पशुपतिनगरके ७० वर्षक सीता देवी तत्मा रहल अछि । अहिके सँगे महोत्तरीमे ठण्डीसँ कठुवा कऽ मरयबलाके सङ्ख्या २८ पहुँचल अछि ।

अहिबिच पूर्वपश्चिम राजमार्ग अन्तर्गत कपिलवस्तुके बरकुल पुर गाविस वाड नम्बर ९ डुमरा मे आइ सडक दुर्घटनामे परि एक गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

दुर्घटनाक बाद क्षतिपूर्तिके माँग करैत मृतकके परिवारजन तथा स्थानीयबासीसब ३ घण्टा राजमार्ग अवरुद्ध केने छल । सहमतिके बाद बन्द खुलाओल गेल अछि तऽ ठक्कर देवयबला गाडीके पहिचान होवय नहि सकलासँ खोजी कार्य भऽ रहल पुलिस जनौलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन