Monday, January 02, 2012

यातायात व्यवासायीद्वारा आयल निगममे धर्ना


काठमाडौ, पुस १८ । राजधानीमे पेट्रोलियम पदार्थके अभाव झेलरहल यातायात व्यवसायीसब आइ नेपाल आयाल निगममे धर्ना देलक अछि । कार्यालय समय सुरु होइते व्यवसायीसब निगमके बबरमहलस्थित कार्यालयके मुख्य द्धार पर २ घण्टा धर्ना देलक अछि ।

 व्यवसायीके धर्नासँ कर्मचारीके कार्यालय प्रवेशमे वाधा उत्पन्न भेल छल । किछ दिन एम्हर राजधानी सहितक देशके विभिन्न भागमे पेट्रोलियम पदार्थक अभाव देखलगेल अछि । डिजलके अभावमे सार्वजनिक यातायात संचालनमे कठिनाई उत्पन्न भेलाबाद सहज आपूर्तिके माँग करैत यातायात व्यवसायीसब आन्दोलनमे उतरल अछि । भारतीय आयल निगम उधारी देवय बन्द केलाबाद इन्धनके अभाव भेल अछि । नेपाल राष्ट्रिय यातायात व्यवसायी संघक अगुवाईमा निगममे धर्ना देलगेल छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन