Monday, January 02, 2012

आममाफीविरुद्ध धर्नामे बैसल अधिकारकर्मीसब गिरफ्तार


१८ पुस, काठमाडौं । द्वन्द्वकालमे भेल सब घटनामे आममाफी देवय लागल कहैत सिंहदरवार दक्षिण गेटमे धर्नामे बैसल अधिकारकर्मीसबके पुलिस गिरफ्तार केलक अछि ।

द्वन्द्वकालमे भेल बलत्कार बाहेकके घटनामे आममाफी लेवय जका वेपत्ता खोजविन आ सत्य निरुपण तथा मेलमिलाप आयोग गठन सम्वन्धि विधेयक पारित करय लागल कहैत अधिकारकर्मीसब धर्नामे बैसल छल । आममाफीविरुद्ध नागरिक सञ्जालके व्यानरमे दक्षिण गेटमे धर्नामे बैसल चरण प्रसाई, कपिल श्रेष्ठ सहितक ४५ गोटे अधिकारकर्मीके पुलिस निषेधित क्षेत्र तोड्ने कहैत गिरफ्तार केलक अछि ।

धर्नामे बैसय आगु अधिकारकर्मीसब सभामुख सुवास नेम्बाङके ध्यानाकर्षण पत्र बुझौने छल । ध्यानाकर्षण पत्रमे विधायन समितिमे विचाराधीन अवस्थामे रहल विधेयकके संशोधन नहि कऽ हुबहु रुपमे पारित करयके माँग कएलगेल छल । अधिकारकर्मी विधेयकके दलसब संशोधन कऽ अममाफी देवय जका पारित करय लगलामे आपत्ति जनौलक अछि ।

ध्यानाकर्षण पत्रमे गम्भीर प्रकृतिके अपराधमे संलग्नसबके आममाफी देवय जका राजनीतिक सहमति नहि करय , मानव अधिकार सम्बन्धी अन्तराष्ट्रिय मूल्य मान्यताके ध्यान देवय आग्रह कएलगेल अछि ।

सत्य निरुपण तथा मेलमिलाप आयोग आ बेपत्ता छानविन आयोग गठन सम्बन्धी विधेयक हाल व्यवस्थापिका-संसद् विधायन समितिमे विचाराधीन अवस्थामे रहल अछि । विस्तृत शान्ति सम्झौतामे ओ आयोगसब गठन करयके उल्लेख भेल छल । मुदा हालधरि आयोग गठन सम्बन्धी विधेयक पारित नहि भेलाक कारण आयोग गठनमे अबेर भऽ रहल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन