Monday, January 02, 2012

चीनके आठ बच्चा वाली महिला चर्चामें


१८ पुष बीजिंग । चीनमें एक महिलाके आठ बच्चा सरकारके नाकमें दम कऽ देने अछि । मात्र एक बच्चाके नीतीबला चीनमें एक परिवारमें आठ बच्चाके भेलासँ चिन्ताक बिषय बनल अछि ।

चीनके मीडियाके अनुसार इ महिला २ टा सरोगेट मदरके मदत लेने छलिह । अहिमे सँ एक गोटे ४ लड़काके जन्म देलक तऽ दोसर ४ लड़कीके । मुदा एक सरकारी पत्रिकामे कहल गेल अछि जे महिला २ टा बच्चाके अपने जन्म देलिह आ  आओर ६ टा बच्चाके लेल सेरोगेसी के सहारा लेने छल ।

रिपोर्टोके अनुसार इ दंपती आइ वी एफ़ पर १० लाख युआन यानी करीब ८५ लाख रुपैया खर्च केने अछि । चीनमें एहन प्रबिधिके प्रयोग पर रोक लगाओल गेल अछि । जनसंख्या पर नियन्त्रणके लेल चीनमें एकटा सँ बेसी बच्चा भेला पर जरिवाना तिरय परैत अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन