Monday, January 02, 2012

१५ सालके पुतौहके तहखाना में राखल गेल


१८ पुष काबुल । राष्ट्रपति हामिद करजई कहलनि जे पुलिस ओइ परिवारक सदस्यके गिरफ्तार करत जाहि पर  बितल ६ महिनासँ अपन १५ बर्षक पुतौहके यातना देवयके आ गैर कानूनी तरीकासँ बन्दी बना कऽ राखयके आरोप अछि । परिवार पर नाबालिग पुतौहके अपराधक दुनियाँमे प्रबेश करावयके कोशिश केने सेहो आरोप लगाओलगेल अछि ।

वरिष्ठ सुरक्षा अधिकारीसँ भेटघाट केलाक बाद करजई एक बयानमें कहलनि जे जे कियो १५ वर्षम सहर गुलके यातना देवयमे सहभागी अछि । ओकरा सजाय जरूर देल जाएत । एक पुलिस अधिकारी बतौलक अछि जे उत्तर पूर्वी बघलान प्रांतमें गुलके ओकर सासुरके  लोकसब ६ महीनाधरि एकटा तहखानामें रखने छल । आ केश खिचैत हुनकर आँगुर तोडि देने अछि ।

गुलके अखन अस्पतालमे इलाज चलि रहल अछि आ जन स्वास्थ्य एवं महिला कल्याण के मंत्री तथा सरकार के मानवाधिकार आयोगके प्रमुख गुलके सासुरके लोकसबके तुरंत गिरफ्तार करयके माँग केने अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन