Monday, January 09, 2012

भ्रष्टाचार मुद्दाके फैसलाक तिथि फेउर घुसकल


काठमाडौं, पुस २५ । सूचना तथा सञ्चार मन्त्री जयप्रकाश प्रसाद गुप्ताके भ्रष्टाचार मुद्दाके फैसलाक तिथि फेउर घुसकल अछि ।

फैसलाके पूर्णपाठ तयार होवय नहि सकल कहैत फागुन ९ गते धरिके लेल घुसकाओलगेल अछि । न्यायाधीशद्वय सुशीला कार्की आ तर्कराज भट्टके संयुक्त इजलाससँ गुप्ताके भ्रष्टाचार मुद्दाके किनारा लगावय लागल छल । सर्वोच्चमे विचाराधिन मुद्दाक सुनुवाई अगहन २१ गते समाप्त होइतो फैसला सुनावयके मिति एक महिनाबाद तोकलगेल छल ।

अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग मधेसी जनअधिकार फोरम (गणतान्त्रिक)के अध्यक्ष समेत रहल गुप्ता उपर २ करोड ८ लाख ८ हजार गैरकानुनीरुपमे कमौने कहैत २०५९ साल चैत ६ गते विशेष अदालतमे मुद्दा दायर केने छल । विशेषके तत्कालिन अध्यक्ष भूपध्वज अधिकारी सम्पत्तिके स्रोत खुजल कहैत हुनका २०६४ साल जेठ २४ गते सफाई देने छल ।

विशेषके फैसला विरुद्ध सरकार २०६४ साल कात्तिक २२ गते सर्वोच्च अदालतमे पुनरावेदन देने छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन