Monday, January 09, 2012

मनविरे सुनारके हत्या छुवाछूतके कारण भेल दलित नेतासबहक निष्कर्ष


२५ काठमाण्डौ । दलित समुदायके अगुवा सभासद् आ नेतासब व्यवस्थापिका संसदसँ छुवाछूत ऐन पारित भेल लम्बा समय बितलाक बादो जातीय छुवाछूतके नाममे दुव्र्यबहार कायम रहल कहैत सरकारके आलोचना केलक अछि ।

व्यवस्थापिका संसदके महिला बालबालिका तथा समाजकल्याण समितिमे विभिन्न दलक नेता÷सभासदसब दलित उपर भेल आक्रमणके मदिरा पिने सँग तुलना कऽ क घटनाके अवमूल्यन कएल गेल बतौलक अछि । ओ सब छुवाछूतके घटनामे संलग्नके कार्वाही करय प्रशासन सक्रिय नहि भेल आरोप लगौलक अछि ।

एकीकृत माओवादीक तिलक परियार, नेपाली काङ्गे्रसक खड्गबहादुर बस्याल सार्की, एमालेक पुरनसिंह दयाल सहितकसब कालिकोटमे मनविरे सुनार, दैलेखके सेते दमाइ आ तनहुँके घाँसी कुवामे पानी लेवयके क्रममे दलित उपर मरय जका  भेल आक्रमणके दोषीके कारवाही करय माँग सेहो केलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन