Monday, January 09, 2012

नागरिकता प्रस्ताव मन्त्रिपरिषदसँ फिर्ता


काठमाडौ, पुस २५ । जन्मके आधारमे नागरिकता लेने सबके सन्तानके सहज ढँगसँ वंशजके नागरिकता वितरण करयके प्रस्ताव मन्त्रिपरिषदसँ फिर्ता भेल अछि ।

बावु या मायके नागरिकता लेवय आगुए जन्म भेल सन्तानके वंशजके आधारमे नागरिकता प्रमाणपत्र देवय  नहि मिलत कहैत मन्त्रिपरिषदसँ पारित नहि करयके भेलाबाद गृह प्रस्ताव फिर्ता लेने सम्बद्ध स्रोत बतौलक अछि ।

प्रस्तावके उपप्रधान तथा गृहमन्त्री विजयकुमार गच्छदार अगहन २० गते मन्त्रीस्तरीय निर्णय कऽ मन्त्रिपरिषदमे पेस करयके स्वीकृति देने छल । प्रस्तावित प्रावधान फेरबदल नहि कऽ मन्त्रिपरिषद् पारित नहि केलाबाद  फिर्ता लेने एक उपसचिव बतौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन