Monday, January 09, 2012

संवैधानिक समितिक बैसार अनिर्णित


काठमाडौ, पुस २५ । सहमति भऽ चुकल विषयमे मतभेद रहला बाद संवैधानिक समिति उपसमिति केने सहमति अनुमोदन करय नहि सकल । विवाद समाधान उपसमितिमे भेल सहमति अनुमोदनके लेल आइ बैसल समितिक बैसार अनिर्णित भेल अछि ।

१८ वर्ष उमेर पहुँचलसबके मतदानके अधिकार आ संसदके नाम व्यवस्थापिका संसद राखयके उपसमितिके सहमति उपर माओवादी आ किछ अन्य दलके सभासद मत नहि मिलल जनौलक अछि । माओवादी वैद्य पक्षधर सभासदसब संसदके नाम संघीय व्यवस्थापिका राखय लेल आवाज उठौलक अछि ।

अहिना  १६ वर्षमे नागरिकता पौलाबाद वायह उमेरसँ मतदान अधिकार देवयके नेपाल मजदुर किसान पार्टी आ नेकपा एकीकृत सहितकसब अलग मत रखने अछि ।

बैसारक बाद कांग्रेस नेता रामचन्द्र पौडेल माओवादीके घर भितरके विवाद संविधान निर्माणमे देखलगेल बतौलनि । ओ माओवादीके आन्तरिक विवादके कारण सहमति भऽ चुकल विषयमे विवाद आएल उल्लेख कएलनि । ओ घर भितरके विवाद मिला कऽ आवय माओवादीके आग्रह कएलनि ।

माओवादी सभासद खड्गबहादुर विश्वकर्मा उपसमिति सहमति केने विषयमे व्यापक बिमर्शके आवश्कता रहल बतौलनि । ओ कहलनि- 'संवैधानिक समितिमे २७ दलक सभासद् अछि । ओ सबके बात सुनय परत ।'

समिति सभापति निलाम्बर आचार्य २८ गते बैसयबला बैसारमे थप बिमर्श कएल जाएत जनौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन