Monday, January 09, 2012

बम निष्क्रिय करैत समय सेनाके हवल्दार घाइल


कलैया, पुस २५ । अज्ञात समूह रखने बम निष्क्रिय करैत काल बाराके कलैयामे सेनाके हवल्दार कैलाश खड्का घाइल  भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय जनौलक अछि ।

कलैया वीरगन्ज सडकखण्ड भौतोडा गाविस५ स्थित सडकमे अज्ञात समूह रखने बम बितल राति १० बजे देखलाबाद ओ बम डिस्पोजल करय नेपाली सेनाके बम डिस्पोजल टोली ओतय साढे ११ बजे निष्क्रिय केने छल । बम निष्क्रिय करैत काल सेनाके हवल्दार खड्का घाइल भेल छल । ओ बम तराई मुक्ति मोर्चाके बारापर्सा इन्चार्ज अग्नि जिम्मेवारी लेने अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन