Saturday, April 09, 2011

गर्भावस्था, पौष्टिक आहार आ मधुमेह - स्वास्थ्य


वैज्ञानिकके कहब अछि जे गर्भावस्थामें मायके पौष्टिक आहार नै मिलला पर बच्चा बडका भेलापर मधुमेहके ख़तरा बढ़ैत अछि ।

केंब्रिज विश्वविद्यालयके अनुसन्धानकर्तासब मुस पऽ कएने एक अध्ययनस दाबा केलक अछि जे मायके असंतुलित आहारके कारण बच्चामें एकटा आबश्यक जीन काज केनाई बंद क दैत अछि जाहिस ई ख़तरा उत्पन्न हईत अछि ।

प्रोसीडिंग्स ऑफ़ नेशनल एकेडमी ऑफ़ साईंसिसमें छापल एकटा प्रतिबेदनमे उल्लेख अछि जे मायके असंतुलित आहारके कारण बच्चामें इन्सुलिन बनाबय बला जीन प असर होइत अछि ।

ब्रिटिश हार्ट फ़ाऊंडेशनके कहब अछि जे अहि अनुसन्धानस गर्भवति महिलाके पौष्टिक संतुलित आहार खाएके सलाहमें कोनो बदलाव नहि अबैत अछि ।

मुदा फ़ाऊंडेशन ई मनलक अछि जे अहि अनुसन्धानस सबूत भेटैत अछि कि मायके आहारस बच्चाके किछ जीनमें परिवर्तन भ सकैत अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन