Saturday, April 09, 2011

गोईत समुहद्वारा भौतिक कारवाहीके चेतावनी


जलेश्वर, चैत २६  अखिल तराई मुक्ति मोर्चा गोईत समूह जिल्ला विकास समिति महोत्तरीम विभिन्न विकास निर्माण कार्य सहितक जिविस खर्चम अनिमियतता करयबला कर्मचारीके भौतिक कारवाही करबाक चेतावनी देलक अछि 
मोर्चाक केन्द्रिय पोलिटब्युरो सदस्य पृथ्वीद्वारा हस्ताक्षरित प्रेस विज्ञप्तीम अनिमियता करयबला कर्मचारीसभके १५ दिन भित अपने अनिमियतता केने रकम जिविसक खाताम फिर्ता करय परत कहैत ओना नहि हाएत त भौतिक कारवाह करबाक चेतावनी देलगेल अछि
सँगहि ओ विज्ञप्ती मार्फत मोर्चा जिल्ला विकास समिति महोत्तरीमेल विभिन्न योजना निर्माण कार्य जिविस खर्चके पारदर्श करयके माग समेत केलक अछि
जारी विज्ञप्तीम स्थानिय विकास कोषक कर्मचारी राजेश पाठकद्वारा तालिमक नामम एलजी सिडिपीक ८७ लाख रुपैंया अनिमियतता,  जलेश्वर मटिहानी सडक खण्डक ५० लाख रुपैंयाक अनिमियतता ,विद्युतक १ करोड २ लाख रुपैंयाक अनिमियता,  जिविस महोत्तरीम ईन्धनक नामम १ लाख ६६ हजार रुपैंयाक खर्च,  खानेपानीक ४० लाख रुपैंया सहितक विकास निर्माणमेल हिनामिनाक हिसाब देबय माकेलक अछि
रकमसभ स्थानिय विकास अधिकारी जिविस महोत्तरीकिछ कर्मचारीक मिलोमतोम अनिमियतता काएलगेलासँ जनताक माग निर्देशनके वुझि अनिमियतता केने रकमसभ १५ दिन भित जिविसक खाताम फिर्ता करय कहलगेल अछि । रकम फिर्ता नहि काएलगेल त सम्बन्धित कर्मचारीके भौतिक कारवाही करबाक चेतावनी देलगेल विज्ञप्तीम उल्लेख अछि

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन