Saturday, April 09, 2011

ईन्डियन प्रिमियर लिग


चैत २६ । ईन्डियन प्रिमियर लिग ट्वान्टि ट्वाइन्टी क्रिकेट अन्तर्गत  डेकेन चार्जर आ राजस्थान रोयल्स बिच हैदराबादके राजिब गांधि ईन्टरनेशनल मैदानमे आइ भेल खेलमे  राजस्थान रोयल्स ८ बिकेटसँ जित हासिल केलक अछि ।
राजस्थान रोयल्स टस जित कऽ पहिने क्षेत्र रक्षण करक निर्णय कएलाकबाद पहिने बल्लेबाजि करए उतरल डेकेन चर्जर निर्धारीत २० ओभरमे ८  बिकेटक नोक्सानमे १३७ रन बना कऽ राजस्थान रोयल्स समक्ष १३८ रनक लक्षय प्रस्तुत कएने छल
डेकेनचार्जरके तर्फसँ बल्लेबाजि करैत  सर्बाधिक रबि तेजा -२८ ,शिखर धवन -२४ , जगि -२५ , आ  डिटी क्रिस्चेन २६ रनक योगदान देने छलथि । तहिना राजस्थानके तर्फसँ बलिङ करैत अमित सिंह ३ , ऐसके त्रिबेदी ३ आ सेन वार्न २ बिकेट लेलनि अछि
प्रतिउत्तरमे उतरल राजस्थान रोयल्स निर्धारित २० ओभरक खेलमे १८ ओभर ५ बल खेलैत २ बिकेटक क्षतिमे जित हासिल करय सफल भेल अछि । राजस्थान रोयल्सक रबि तेजा सर्बिधक २८ रनक योगदान देने छलथि ।
अहिना ,  ईन्डियन प्रिमियर लिग ट्वान्टि ट्वाइन्टी क्रिकेट अन्तर्गत अखन भ रहल तेसर खेलमे कोची तस्कर्स केरेला, रोयल चैलैन्जर्स बैँगलौर समक्ष  १६२    रनक लक्ष्य प्रस्तुत केलक अछि ।  
कोची तस्कर्स केरेला टस जित कऽ पहिने ब्याटिङ्ग करैत ५ बिकेटक क्षतिमे १६१ रन बनौलक अछि ।
कोची तस्कर्स केरेला टिमक मैक्कुलम ४५, भिभिएस लक्ष्मण ३६ आ जयबर्द्धने १८ रन बनौलनि अछि ।
अहिबिच, अन्तराष्ट्रिय एकदीबसिय सिरीजके पहिल मैचमे अष्ट्रेलिया बंगलादेशके ६० रनसँ पराजित कएलक अछि।
बंगलादेशक श्रि बंगला नेशनल मैदान मिरपुरमे भेल मैचमे अस्ट्रेलिया बंगलादेशके समक्ष २७१ रनक लक्षय प्रस्तुत कएने छल । प्रतिओतरमे बंगलादेश निर्धारीत ५० ओभर खेलैत ५ बिकेटक नोक्सानमे मात्र २१० रन बना कऽ ६० रनसँ मैच हारल अछि।
अष्ट्रेलिया पहिने बैटींग करैत निर्धारीत ५० ओभरमे ७ बिकेटक नोक्सानमे २७० रन बना कऽ बँगलादेश समक्ष २७१ रनक लक्ष्य प्रस्तुत कएने छल। अष्ट्रेलिया तर्फसँ बैटीङ करैत सर्बाधिक माईकल क्लार्क १०१ , वाटसन ३७ , रीकिपोन्टीङ ३४, रनओने छलथि। तहिना बंगलादेश तर्फसँ बलिङ करैत  सुभो -३ , मसरफ मोर्तजा- २ आ अब्दुर रजाक १ बिकेट लेने छलथि।
बंगला देशक तर्फसँ बल्लेबाजि करैत सर्बाधिक  तमिम ईकबाल -६२ , सखिब अलहसन-५१ रन बनओने छलथि। अष्ट्रेलिया तर्फसँ बलिङ करैत ब्रेटलि , जन्सन, हैजटीङस, डोहेरटी आ स्मिथ १-१ बिकेट लेने छलथि।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन