२६ चैत, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादी सरकार बैसाखमे ल्याब कहने आगामी पूर्ण बजेट प्रति सकरात्मक देखलगेल अछि ।
माओवादी संसदीय दलक कार्यालय सिंहदरवारमे बैसल दु दलक बैसारमे माओवादी अपन भावना समेटय जका लाओल जाएबला नयाँ बजेटक सन्दर्भमे सकारात्मक प्रतिकृया देने एमालेक प्रमुख सचेतक भीम आचार्य जानकारी देलनि अछि ।
अहिना, बैसारमे सरकार सँचालनके लेल जल्दिए आचारसंहिता बनाबयके निर्णय सेहो भेल अछि । काल्हिए माओवादीके पदाधिकारी बैसारसँ सरकार एकलौटी निर्णय कऽक बजेट लाबय लागल कहैत सरकारसँग गम्भीर बिमर्श करयके निर्णाय केने छल । माओवादी उपाध्यक्ष नारायणकाजी श्रेष्ठ प्रकाश सेहो पूरक बजेट लाबयके समय नहि भेलासँ पूर्ण बजेट लाबय अपनेसभ सकारात्मक रहल बतौलनि । बैसारमे न्यूनतम साझा कार्यक्रम आ मन्त्रिमण्डल विस्तारक विषयमे समेत बिमर्श भेल छल ।
No comments:
Post a Comment