Tuesday, March 15, 2011

चिन्ता नै करु, पाई बदला भ जाएत


काठमाडौ, चैत्र १ ।
पूर्वराजाकाके तस्बिर रहल नोट बदला करय नै सकल छि त ओहन नोट तोकल स्थानमे आसानिएस बदला भ जाएत ।
राष्ट्र बैंकसहित सरकारी बैंक आ नोट कोषके कारोबार करयबला निजी बैंकमे ओहन नोट बदला काएल जा सकैय राष्ट्र बैंकके डेपुटी गभर्नर गोपाल काफ्ले बतौलनि । नोट राष्ट्रिय वाणिज्य बैंक आ नेपाल बैंकके अधिकांश शाखामे बदला करय सकयके व्यवस्था मिलाओलगेल अछि । 'पूर्वराजाकाके तस्बिर अँकित नोट बदला नै हाएत से हल्ला गलत अछि ओहन भ्रममे नै परय सर्वसाधारणस अनुरोध अछि काफ्ले बतौलनि ।'
नेपाल बैंकके देशभरिके ४० स बेसी शाखामे पूर्वराजाके फोटो भेल नोट द क सगरमाथा अंकित नोट लेबय सकयके ब्यबस्था अछि । अहिना, एभरेस्ट बैंक, नेपाल बंगलादेश बैंक आ ग्लोबल बैंकमे जा क सेहो नोट बदलल जा सकैय ।
राष्ट्र बैंक नयाँ नोट बदलयके अन्तिम मिति कहिकऽ नै तोकने अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन