Tuesday, March 15, 2011

शान्तिप्रक्रियाके बारेमे पौडेल आ टकनटबीच बिमर्श

१ चैत्र, काठमाडौँ । प्रमुख प्रतिपक्षी दल नेपाली काँग्रेस संसदीय दलक नेता रामचन्द्र पौडेल आ नेपालक लेल बेलायती राजदूत जोहन टकनटबीच भेटघाट भेल अछि ।
काँग्रेस संसदीय दलक कार्यालय सिंहदरबारमे आई भेल भेटवार्तामे नेपालमे जारी शान्तिप्रक्रिया, संविधान लेखन आ माओवादी लडाकू समायोजन तथा पुनःस्थापना सहितक विषयमे बातचित भेल छल ।
भेटके बाद नेता पौडेल शान्तिप्रक्रियामे गतिरोधक बिषयमे आ जेठ १४ भितर संविधान निर्माणके काम समाप्त करयके सन्दर्भमे भरहल कामके बारेमे बिमर्श भेल पत्रकारसबके बतौलनि ।
शान्तिप्रक्रिया आ संविधान लेखनके काम जटिल होइतो इ सकारात्मक परिणाम लाबयके बातमे अपने आशावादी रहल बतबैत राजदूत टकनट नेपालक विकास प्रयास, शान्तिप्रक्रियाके निष्कर्षमे पहुँचबैत संविधान लेखनके काम सम्पन्न करयके बिषयमे भरहल बातचितक जानकारी देलनि ।
राजदूत टकनट एकटा देशमे दु टा सेना रहय नै सकत कहैत पहिने भेल सम्झौताके आधारमे माओवादी लडाकूके समायोजना आ पुनःस्थापना जेहन काम होबय परत धारणा व्यक्त कएलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन