Tuesday, March 15, 2011

जनकपुर चुरोट कारखानाके उत्पादन ठप्प


जनकपुर, चैत्र १ । मजदुर समन्वय समिति आ जनकपुर चुरोट कारखानाबीच भेल सम्झौता कार्यान्वयन नै केने कहैत आक्रोशित मजदूरसब महाप्रवन्धक श्यामकुमार महतो चढयबला गाडी छिनयके सँगहि आवासके विजुली पानि समेत काटिदेलक अछि । कारखानाके उत्पादन समेत ठप्प अछि ।
फागुन २५ गते भेल समझौताके कार्यान्वयन बारे जानकारी लेबय आइ भिन्सर महाप्रन्धक निवास पहुँचल मजदुर नेतासबसंग महतो दुर्व्यावहार केलाबाद आक्रोशित मजदुरसब हुनकर सम्पूर्ण सुविधा कटलक अछि । ओसब महाप्रवन्धक क्वाटरके घेराउ सेहो केलक अछि । महाप्रन्धक महतो अपन किछ सहयोगीके सँग निवासमे नुकाकऽ बैसल छथि । महाप्रवन्धक निवास आगु सुरक्षा व्यवस्था बढाओलगेल अछि ।
मजदुर समन्वय समितीके आइ भिन्सर बैसल आकस्मिक बैसारस महाप्रवन्धक महतोके सम्पूर्ण आर्थिक तथा भौतिक सुविधा बन्द करयके निर्णय केलक अछि । समिति सम्वद्ध राष्ट्रिय प्रजातान्त्रिक मजदुर संगठनके तेजनारायण देने जानकारी अनुसार- समन्वय समितीके बैसारस महाप्रवन्धकके कोनो लिखित या मौखिक आदेश नै मानयके, गाडी छिनयके, आर्थिक तथा भौतिक सुविधा कटौती करयके तथा वरीष्ठ कर्मचारीके नेतृत्वमे कारखाना संचालन करयके निर्णय केलक अछि ।
सम्बद्ध कर्मचारीसबहक अनुसार-७२करोडके अचल सम्पति बिक्री कयियो क जचुकालि करिब ५० करोड घाटामे अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन