Tuesday, March 15, 2011

संयंत्रमें तेसर बिष्फोट, स्वास्थ्यके ख़तरा


एजेन्सी, चैत १ । जापानके फ़ुकुशिमा परमाणु संयंत्रके पहिलका रिएक्टरमें एकटा आओर बिष्फोट भेल अछि ।
अधिकारीके कहब अछि जे संयंत्रमें विकिरणके ख़तरा बढ़िरहल अछि आ अईके स्तर ऐतेक बढल अछि जे अईस स्वास्थ्य संकट पैदा क सकैत अछि ।
अइ बिष्फोटके कारण संयंत्रमें आगि लागिगेल छल जे बहुत समयके बाद नियन्त्रणमे आएल छल । जाहि कारण हानिकारक किरण सीधा वातावरणमें मिल गेल अछि । अधिकारीके अनुसार अई बिष्फिटनस दोसर रिएक्टरके नोक्सान पहुँचा सकैत अछि ।
संयंत्रके बाहर विकिरणके स्तर बेसी भेलास 20 किलोमीटरधरिके क्षेत्रमें रहयला लोकसबके ओतयस हटाओलगेल अछि । फ़ुकुशिमा संयंत्रमें ई तेसर बिष्फोट अछि जतय इंजीनियर अई संयंत्रके ठंडा करयके प्रयासमें लागल अछि ।
अहिस पहिने काल्हिके फुकुशिमा दायची संयंत्रके रिएक्टर 3 में भेल विस्फोटमें 11 गोटे घाइल भेल छल ।
भूकंप आ सुनामीके कारण तबाह भेल परमाणु संयंत्रके ठंडा करयके प्रयासके बीच जापान अंतरराष्ट्रीय समुदायस अई मामलामें मदद करय लेल आग्रह केलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन