Tuesday, March 15, 2011

संविधानक लेल दबाब आवश्यक: सभामुख


१ चैत्र, काठमाडौं । सभामुख सुवासचन्द्र नेम्बाङ शान्तिप्रक्रिया तथा संविधान लेखनके लेल दबाब देबय आग्रह कएलनि अछि । आइ बेरियामे उपभोक्ता हित संरक्षण मञ्च नेपालक पदाधिकारी सँगक भेटमे सभामुख नेम्वाङ ई बतौलनि अछि ।
ओ संविधानसभास संविधान बनाबय बेसी समय आ खर्च लागयके सँगहि झन्झटाह भेलास तोकले समयमे संविधान निर्माणक लेल उपभोक्तासबके जागरुक होबय परत बतौलनि ।
मञ्चक पदाधिकारीसब देशमे बढिरहल महङ्गी आ दण्डहीनता अन्त्यक लेल प्रभावकारी कदम उठाबयके व्यवस्था मिलाबय सभामुखस आग्रह केने छल ।
विश्व उपभोक्ता अधिकार दिवसक अवसरमे नेम्वाङस भेट्य पहुँचल ओसब बजार उपभोक्ताके लुट्यबला निकायके रुपमे स्थापित होइत आएल आ बजार नियन्त्रणके लेल कहि कऽ स्थापित सरकारी निकायमे ठेक्काके रूपमे पदाधिकारीसब नियुक्ति होबयके प्रवृत्तिस देशमे महङ्गी आ अराजकता बढल उपराग देने छलथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन