Tuesday, March 15, 2011

'संक्षिप्तो संविधान हाएत त जारी करय परत'


काठमाडौं, चैत्र १ । पूर्वप्रधानमन्त्री माधवकुमार नेपाल संक्रमणकाल अन्त्यक लेल संक्षिप्त संविधान हाएत तयियो जारी करय परत बतौलनि अछि ।
महत्त्वपूर्ण बातके समेट कऽ निर्धारित मितिमे संविधान जारी कएल जा सकैय कहैत एमालेक बरिष्ठ नेता नेपाल छुटल विषयके संशोधन मार्फत थपय परत बतौलनि । राष्ट्र धर्म जागरणद्वारा आइ राजधानीमे आयोजित कार्यक्रममे नेता नेपाल जातीय राजनीतिके कारण बिखण्डनके खतरा रहल बतौलनि । 'बिखण्डनस देशके जोगाबय सव दलके एक होबय परत ओ कहलनि ।
कार्यक्रममे संवैधानिक समितिक सभापति निलाम्बर आचार्य नयाँ संविधान लेखनके क्रममे देखलगेल विवादित विषयमे सहमति जुटैत गेलास निर्धारित समयमे संविधान जारी होबयके आश जागल बतौलनि । आगामी चैत १५ भितरमे बाँकी विवादित विषयमे सेहो दलसब सहमति खोजत विश्वास व्यक्त कएलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन