Tuesday, March 15, 2011

सिंहके निधनप्रति प्रधानमन्त्रीद्धारा शोक व्यक्त

१ चैत्र, काठमाडौँ । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल नेपाल सद्भावना पार्टी (आनन्दीदेवी)के मानार्थ अध्यक्ष आनन्दीदेवी सिंहक निधनप्रति गहरा शोक व्यक्त कएलनि अछि । नेपाल सद्भावना पार्टीक संस्थापक नेता एवम् देशके वरिष्ठ राजनीतिज्ञ गजेन्द्रनाराण सिंहक धर्मपत्नी आनन्दीदेवी सिंहक काल्हि सप्तरीमे निधन भेल छल ।
प्रधानमन्त्री खनालद्वारा जारी शोक वक्तव्यमे दुःखके अइ घडीमे स्व.सिंहप्रति हार्दिक श्रद्धाञ्जलि अर्पण करैत शोकसन्तप्त परिवारजन, इष्टमित्र आ शुभचिन्तकसब तथा नेपाल सदभाबना पार्टी (आनन्दीदेवी) परिवारमे सेहो गहरा समवेदना प्रकट कएलगेल अछि ।
सद्भावना -आनन्दीदेवीके नेतृके हैसियतस २०६२/६३ के शान्तिपूर्ण जनक्रान्ति उठाबयके पृष्ठभूमि तयार करय हुनक भूमिका स्मरणीय रहल छल । खास क प्रतिगमन विरोधी संयुक्त आन्दोलन सञ्चालन करय ओ महत्वपूर्ण योगदान देने छलिह ।
वायह भूमिकाके कारण स्वर्गीय आनन्दीदेवी ०६३ मे गठित ऐतिहासिक अन्तरिम व्यवस्थापिका-संसद्के सदस्य समेत बनल छलथि । हाल राजविराजस्थित सप्तरी सेवा आश्रममे भतिजाके सँग रहैत आएल दिवंगत नेतृ आनन्दीदेवीके कोनो सन्तान नै अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन