Sunday, July 17, 2011

माओवादी केन्द्रीय समितिक बैसार फेरसँ स्थगित

काठमाडौं, श्रावण १ - अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल पार्टीभितरके विवाद मिलाबय शान्ति आ संविधानके कार्ययोजना प्रस्ताव पेश केलाबाद माओवादी केन्द्रीय समितिक बैसार फेरसँ स्थगित भेल अछि ।

पार्टी मुख्यालय कोटेश्वर, पेरिसडाँडामे आइ १४ मिनेटमात्रे बैसल केन्द्रीय समितिक बैसारमे अध्यक्ष दाहाल लिखित राजनीतिक दस्तावेज पेश केलाबाद बैसार स्थगित भेल अछि ।

दाहाल पार्टीभितरके विवाद मिलाबय शान्ति आ संविधानके बटमलाइन प्रस्तुत करत स्रोत जनैलक अछि ।। केन्द्रीय समितिमे पेस करय तयार केने लिखित राजनीतिक दस्तावेज दाहाल शनिदिन केन्द्रीय पदाधिकारी बैसारमे पेस केने छल ।

उपाध्यद्वय मोहन वैद्य, बाबुराम भट्टराई आ महासचिव रामबहादुर थापा कार्यविभाजनके मुख्य जोड द रहल समय दाहाल शान्ति आ संविधानके कार्यनीतिके पहिल प्राथमिकतामे रखने छथि । शनिदिन केन्द्रीय कार्यालयमे लिखित दस्तावेज पेस करैत दाहाल भादव १४ गतेभितर पार्टीके तर्फसँ करयबला शान्ति आ संविधानके काम आ अन्तरसंघर्ष समाधान करय महाधिवेशनके प्रस्ताव केने अछि ।

दाहाल भादब १४ भितर लडाकुके वर्गीकरण भ जाएत उल्लेख केने छथि । माओवादी अहिसँ आगु ८ सँ १० हजार लडाकु समायोजन करय सकयके प्रस्ताव राखि चुकल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन