Sunday, July 17, 2011

राजीनामा नहि देब - अर्थमन्त्री अधिकारी

१ साउन, काठमाडौं । उपप्रधान एवम अर्थमन्त्री भरत मोहन अधिकारी संसदमे पढय आगुए बजेट सार्वजनिक भेलमे अपने दोषी नहि रहल कहैत राजीनामा नहि देब प्रष्ट कयलनि अछि ।

निर्धारित समयसँ एक दिनबाद बजेट लाबयके राजनीतिक दलसबहक सहमतिए दोषी रहल कहैत ओ राजिनामा देबय परत कहनाईके कोनो तुक नहि रहल बतौलनि अछि ।

आइ राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे अर्थमन्त्री अधिकारी बजेट सार्वजनिक होबयमे निर्धारित समयसँ एक दिनबाद बजेट लाबयके सहमति दोषी भेल जिकिर कयलनि । बजेट सार्वजनिक भेल बारे छानविन करय गठित संसदीय समिति अपनाके काल्हि बजौने जानकारी दैत स्पष्ट जवाफ देब बतौलनि ।

कर्मचारीसबहक तलब बृद्धि होइतेमे मूल्यबृद्धि नहि हाएत कहैत ओ तलब बृद्धिके नाममे मूल्यबृद्धि हाएत त सरकार कडा कारवाही करत चेतावनी देलनि । ओ कहलनि जे-सरकार कडा अनुगमन करत आ ओहनके कडा कारवाही करत । एहन काज कोनो हालतमे स्वीकार्य नहि हाएत ।

साक्षात्कारमे पूर्व अर्थमन्त्री एवम सभासद डा प्रकास चन्द्र लोहनी बजेट भाषण आगुए बजेट सार्वजनिक भेल घटनाके जिम्मेवारी ल अर्थमन्त्रीके नैतिकताके आधारमे राजिनामा देबाक चाही  तर्क केलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन